काठमाण्डू : अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग नेपाल टेलिकमके तकालीन प्रबन्ध निर्देशक सुनिल पौडेल आ तत्कालीन प्रमुख व्यावसायिक अधिकृत (हाल प्रबन्ध निर्देशक) सङ्गीता पहाड़ीसहित १८ गोटेविरुद्ध विशेष अदालतमे मुद्दा दायर केलक अइछ ।
आयोगके प्रवक्ता राजेन्द्र कुमार पौडेलके अनुसार नेपाल टेलिकमके जिएसएम मोबाइल,फाइबर इन्टरनेट,लिज्ड लाइन,वायरलाइन आ वायरलेससहित सेवाके बिलिङके सम्बन्धमे गैरकानुनी तरिकासँ खरिद बिक्री क अनियमितता भेल आरोपमे मुद्दा दायर कएल गेल अइछ । आयोग सोसम्बन्धी उपकरण खरिद सम्बन्धमे बदनियत राखल गेल आ सार्वजनिक सम्पत्तिके हिनामिना भेल उल्लेख केलक अइछ ।
आयोग टेलिकमक तत्कालीन प्रबन्ध निर्देशक सुनिल पौडेल,प्रबन्ध निर्देशक सङ्गीता पहाड़ी,तत्कालीन प्रमुख प्राविधिक अधिकृत प्रतिभा श्रेष्ठ,वित्तीय अधिकृत राजेन्द्र श्रेष्ठविरुद्ध ३३ करोड़ ४८ लाख १७ हजार ४३० टका बराबरके बिगो दाबी करैत मुद्दा दायर कएल जनौलक अइछ ।
एहिने,तत्काली प्रमुख सञ्चालन अधिकृत झविन्द्रलाल उपाध्याय,तत्कालीन निर्देशक विनिता श्रेष्ठ,निमित्त निर्देशक अमूल प्रधान,प्रबन्धक देवेन्द्र खतिवाड,उपप्रबन्धक राजीव कुमार केसी,सन्तोष कुमार श्रेष्ठ,नवल चौधरी,मुक्तिप्रसाद अर्याल,हेमप्रभा रामप्रताप कर्ण,परमात्मा भट्टराइविरुद्ध सेहो समान बिगो दाबी कएल गेल अइछ ।
एहिने सामान उपलब्ध करेबाक लेल तीन चिनियाँ कम्पनी आ ताहि नेपालस्थित प्रतिनिधिविरुद्ध सेहो ३३ करोड़ ४८ लाख १७ हजार ४३० टका बराबरके बिगो मांग दाबी कएल गेल आयोग जनौलक अइछ ।
आपसी सहमतिमे सार्वजनिक संस्थाकेँ हानी नोक्सानी पहुँचेबाके उद्देश्यसँ एकीकृत बिलिङ प्रणालीके लेल पाँच वर्षके सम्झौता कएल गेल आयोगके दाबी अइछ । आयोग बिगो बमोजिम कारबाहीके मांग करैत आइ मुद्दा दायर कएल गेल आयोगक प्रवक्ता पौडेल जानकारी देलैन अइछ ।


